सोमवार, 20 अप्रैल 2020

आयल चैत मधुर रंग पॉचम... / मैथिल चैती / शिव कुमार झा 'टिल्लू ' / रजनी पल्ल्वी

https://youtu.be/i5vrLCay0nA

आयल चैत मधुर रंग पॉचम (चैतावर)  कवि/गीतकार : श्री शिव कुमार झा 'टिल्लू'
भाषा : मैथिली 
गायिका : रजनी पल्ल्वी 

चैती /मैथिल चैताबर 
आयल चैत मधुर रंग पॉचम, 
उपवन बुलबुल गावय ना
सन-सन पुरबा मलय वसात,
झन-झन देह झनकावय ना...

कुहकै कुक कोइली बबुर वन,
चहकै अलि पाटलि मधुवन,
फड़कै मोर मोरनि लोचन,
फनकै मृगी पद फन-फन,
भन-भन मन भनकावय ना

भाविनी खिलायलि गहवर,
वहिना मुदित हिय फरफर,
सखी नेह मातलि कोहवर
भौजी रेह गावथि सोहर,
क्षण-क्षण तन छनकावय ना

प्रियतम व्यथित ई आखर
नोरक सियाँही झरझर,
कोमल शय्या भेल खरखर,
सुखि देह वक सन पातर
कण-कण पट सिहरावय ना

उपटल फागुन केर रस वुन,
हहरल नुपूर स्वर झुन - झुन,
विकल नैन भेल अधर सुन्न
अछि कोन कांता मे अवगुन?
घन-घन घट सनकावय ना
सन-सन...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें